• २०८१ कातिर्क २४ शनिवार

हमहुँ एकदिन मन्त्री होबए

उदगार यादब

उदगार यादब

हमहुँ एक दिन मन्त्री होबए
टांग उठा असमान रोकबए
अजेट, बजेट, अता, भत्ता
गरीबक खुन सोखबए !!
हमहुँ एकदिन मन्त्री होबए !!

जुट मिल, चिनि मिल,
सिगरेट मिल लुटबैए
मुरगा/मुरगी, मुरा भैंसी
बोका/बोकी लबए !!
हमहुँ एकदिन मन्त्री होबए !!

धाक, धम्की सँ रहबए हम
चोर, डकैत, पोसबए हम
डाक्टर, मास्टर, पुलिस, प्रशसाशन,
सभके मिलाक रखबए
अटानी, भुटानी शरणार्थी बनाक
केहन/केहन कें ठकबए !!
हमहुँ एकदिन मन्त्री होबए !!

अरोसिया, परोसिया सं भारु, डलर
रियाल शेखुस मङ्गबए
चाउर, चिनी, दाईल, तरकारी में
मोट/मोट रकम कमबए !!
भाई हमहुँ मन्त्री होबए !!

चाहक चुस्की गांजा संग
चौक/चौरहा पर खोंखबए
रोजगार बात करतैं तखने
आम/जनता कें ढोकबए !!
हमहुँ एकदिन मन्त्री होबए !!


उदगार यादब
मिथिला विहारी नगरपालिका, सिरसियाञ्र-६, धनुषा धाम नेपाल